Poemsकविता

मिनी कविता

Mini Poems

by Dr. Bhimnath Jhaडॉ. भीमनाथ झा

Three very short poems: ‘Matridivas’ (Mother’s Day), ‘Astitva’ (Existence) and ‘Pratikriya’ (Reaction).तीन अत्यन्त छोट कविता: ‘मातृदिवस’, ‘अस्तित्व’ आ ‘प्रतिक्रिया’।

  • Freeनिःशुल्क
  • 1 page1 पृष्ठ
  • PDF, 36 KBपीडीएफ, 36 KB

Share on WhatsAppWhatsApp पर साझा करू

About this pieceएहि रचनाक विषयमे

Each of these poems says its piece in a handful of lines. ‘Matridivas’ asks why a mother should be remembered only on a ‘special day’; ‘Astitva’ asks who survives joy and sorrow, coming and going, and answers that only what we say while we are here is left in the book; and ‘Pratikriya’ is a wry thought on why people react to what you write, and why they stay silent about what you do not.एहि कविता सभमे प्रत्येक किछुए पंक्तिमे अपन बात कहि दैत अछि। ‘मातृदिवस’ पुछैत अछि जे माँकेँ मात्र ‘विशेष अवसर’ पर किएक स्मरण कयल जाय; ‘अस्तित्व’ पुछैत अछि जे सुख-दुःख, ऐब-जैबसँ के बाँचल अछि, आ उत्तर दैत अछि जे जा धरि छी, जे कहि जाइत छी से पोथीमे बाँचल रहैत अछि; आ ‘प्रतिक्रिया’ एक चुटीला विचार अछि जे लेखनपर लोक किएक बजैत अछि आ नहि लिखलापर किएक चुप रहैत अछि।

Read it hereएतहि पढ़ू

मातृदिवस

माँ!
तथाकथित अइ विशेष अवसरपर
हमहूँ करितहुँ स्मरण आइ...
मुदा की करू
ताइ लेल तँ आन दिन
जरूरी छल बिसरनाइ।

अस्तित्व

सुख-दुःख
ऐब-जैब
ताइ सँ के बाँचल अछि?
जा छी
ता ‘छी’
किछु कहबा ले’ छी
—पोथीमे सैह बाँचल अछि।

प्रतिक्रिया

अहाँ लिखै छी
तेँ ने नीक-बेजाय लोककेँ लगै छै,
तेँ ने कहैए।
हमरा से नइँ होइए
तँ कहाँ क्यो किछु कहैए?
मुख्य बात छै --- कहओ।
बुझब तँ सभकेँ अपन-अपन छै।

Detailsविवरण

Typeप्रकार
Poemsकविता
Languageभाषा
Maithiliमैथिली
Lengthलम्बाइ
1 page1 पृष्ठ
Formatरूप
PDF, 36 KBपीडीएफ, 36 KB
Costमूल्य
Freeनिःशुल्क
Rightsअधिकार
© Dr. Bhimnath Jha and family. Free to read and download; please credit the author when quoting.© डॉ. भीमनाथ झा आ परिवार। पढ़बा आ डाउनलोड करबाक लेल निःशुल्क; उद्धरण दैत काल लेखकक नाम दिअ।
↑